𑒯𑒧𑒮𑒦 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒫𑒱𑒦𑒱𑒢𑓂𑒢 𑒏𑒰𑒩𑒝 𑒮𑒿 𑒦𑒰𑒩𑒞𑒏 𑒫𑒱𑒦𑒱𑒢𑓂𑒢 𑒩𑒰𑒖𑓂𑒨 𑒞𑒟𑒰 𑒏𑒹𑒢𑓂𑒠𑓂𑒩𑒬𑒰𑒮𑒱𑒞 𑒣𑓂𑒩𑒠𑒹𑒬𑒧𑒹 𑒮𑓂𑒟𑒰𑒨𑓃𑒲 𑒁𑒟𑒫𑒰 𑒁𑒮𑓂𑒟𑒰𑒨𑓃𑒲 𑒩𑒴𑒣 𑒮𑒿 𑒩𑒯𑒻𑒞 𑒕𑒲। 𑒏𑒱𑒕𑒳 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒪𑒹𑒪 𑒃 𑒣𑓂𑒩𑒫𑒰𑒮 𑒩𑒯𑒻𑒞 𑒁𑒕𑒱 𑒏𑒱𑒕𑒳 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒪𑒹𑒪 𑒁𑒪𑓂𑒣𑒫𑒰𑒮 𑒞𑒟𑒰 𑒏𑒱𑒕𑒳 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒖𑒲𑒫𑒢𑒦𑒩𑒱 𑒩𑒯𑒻𑒞 𑒕𑒟𑒱। 𑒯𑒧𑒯𑒳𑒿 𑒮𑓂𑒟𑒰𑒨𑓃𑒲 𑒩𑒴𑒣 𑒮𑒿 𑒣𑓂𑒩𑒫𑒰𑒮𑒧𑒹 𑒩𑒯𑒻𑒞 𑒪𑒑 𑒮𑒿 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒮𑒧𑒳𑒠𑒰𑒨𑓃𑒏𑒹 𑒣𑒲𑒛𑓃𑒰 𑒠𑒹𑒐𑒪𑒯𑒳𑒿। 𑒞𑒐𑒢𑒱 𑒋𑒏𑒙𑒰 𑒨𑓃𑒯𑒢 𑒫𑒹𑒥𑒮𑒰𑒃𑒙𑒏𑒹 𑒐𑒑𑒞𑒰 𑒥𑒳𑒗𑒪𑒯𑒳𑒿 𑒖𑒹 𑒯𑒧𑒮𑒦 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒋𑒏𑒮𑒴𑒞𑓂𑒩𑒧𑒹 𑒋𑒏𑒚𑒰𑒧 𑒮𑒳𑒐-𑒠𑒳𑓁𑒐𑒏 𑒔𑒩𑓂𑒔𑒰 𑒏𑒨𑓃 𑒮𑒏𑒲, 𑒞𑒰𑒯𑒱 𑒪𑒹𑒪 𑒃 𑒣𑓂𑒪𑒹𑒙𑒤𑒰𑒩𑓂𑒧𑒏 𑒢𑒱𑒩𑓂𑒧𑒰𑒝 𑒏𑒨𑓃𑒪 𑒑𑒹𑒪 𑒁𑒕𑒱।

𑒯𑒧𑒮𑒦 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪 𑒁𑒣𑒢 𑒦𑒰𑒭𑒰, 𑒮𑓀𑒮𑓂𑒏𑒵𑒞𑒱 𑒞𑒟𑒰 𑒣𑒯𑒱𑒔𑒰𑒢 𑒪𑒹𑒪 𑒮𑒞𑒞𑒱 𑒮𑒖𑒑𑒱 𑒩𑒯𑒱𑒞𑒹 𑒕𑒲 𑒮𑒓𑓂𑒑𑒯𑒱 𑒖𑒰𑒯𑒱 𑒣𑓂𑒩𑒠𑒹𑒬𑒧𑒹 𑒩𑒯𑒻𑒞 𑒕𑒲 𑒍𑒞𑒨𑒏𑒹 𑒧𑒰𑒙𑒱, 𑒦𑒰𑒭𑒰, 𑒪𑒱𑒣𑒱 𑒮𑓀𑒮𑓂𑒏𑒵𑒞𑒱 𑒞𑒟𑒰 𑒪𑒼𑒏𑒏 𑒮𑒠𑒱𑒐𑒢𑒱 𑒮𑒧𑓂𑒧𑒰𑒢 𑒏𑒩𑒻𑒞 𑒕𑒲।


𑒂𑒫𑒬𑓂𑒨𑒏𑒞𑒰 𑒁𑒕𑒱 𑒖𑒹 𑒯𑒧𑒮𑒦 𑒋𑒏 𑒯𑒼𑒃।

𑒖𑒨𑓃 𑒧𑒱𑒟𑒱𑒪𑒰 - 𑒖𑒨𑓃 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪𑒲


हमसभ मैथिल विभिन्न कारण सँ भारतक विभिन्न राज्य तथा केन्द्रशासित प्रदेशमे स्थाय़ी अथवा अस्थाय़ी रूप सँ रहैत छी। किछु मैथिल लेल इ प्रवास रहैत अछि किछु मैथिल लेल अल्पवास तथा किछु मैथिल जीवनभरि रहैत छथि। हमहुँ स्थाय़ी रूप सँ प्रवासमे रहैत लग सँ मैथिल समुदाय़के पीड़ा देखलहुँ। तखनि एकटा य़हन वेबसाइटके खगता बुझलहुँ जे हमसभ मैथिल एकसूत्रमे एकठाम सुख-दुःखक चर्चा कय़ सकी, ताहि लेल इ प्लेटफार्मक निर्माण कय़ल गेल अछि।

हमसभ मैथिल अपन भाषा, संस्कृति तथा पहिचान लेल सतति सजगि रहिते छी सङ्गहि जाहि प्रदेशमे रहैत छी ओतयके माटि, भाषा, लिपि संस्कृति तथा लोकक सदिखनि सम्मान करैत छी।


आवश्यकता अछि जे हमसभ एक होइ।
जय़ मिथिला - जय़ मैथिली